Madhushravani puja vrat katha in Maithili- day 4

Madhushravani puja:- मधुश्रावणी पूजा – चारिम दिन क कथा :

Madhushravani puja vrat katha Day-4:- मधुश्रावणी पूजा कथा के चारिम दिन क कथा मे सती क कथा कहि ।

Madhushravani puja vrat katha | मधुश्रावणी पूजा कथा

सती क कथा 

सृष्टि रचना में पहिने विष्णु तखन महादेव आ फेर ब्रह्मा क जन्म भेलनि I ब्रह्मा अपना शरीर सं देवता आ ऋषि -मुनि ,मुँह सं शतरूपा नामक स्त्री आ मनु ,दहिना आँखी सं अत्रि, कान्ह सं मरीचि आ दाहिना पांजर सं दक्ष प्रजापति क जन्म देलखिन I ब्रह्मा क संतान सब सेहो सृजन करय लगला , मरीचिक बेटा कश्यप आ अत्रिक क पुत्र चंद्रमा I

मनु के दु बेटा प्रियव्रत आ उत्तानपाद और तीन बेटी आकूति,देवहुति आ प्रसूति भेलखिन I प्रसूति क विवाह दक्ष प्रजापति सं भेल जिनका सं साठि टा कन्या क जन्म भेल I ओहि में आठ क विवाह धर्म सं ,ग्यारह क विवाह रूद्र सं ,तेरह कश्यप ,सताईस चंद्रमा आ एक गोट सती क विवाह महादेव सं भेलनि I

चंद्रमा अपना पत्नी सब में रोहिण के सब सं बेसी मानैत छलैथ जाहि सं बाकि छबिसो हुनका सं क्रोधित भय प्रजापति लग शिकायत केलखिन I प्रजापति चंद्रमा के बुझेलखिन मुदा ओ काँन बात नहि देलखिन त क्रोधित भय दक्ष हुनका श्राप देलखिन – ‘अहाँ के क्षय रोग भय जायत आ अहाँ क सम्पूर्ण शरीर गलि जायतI“ चंद्रमा क शरीर दिन दिन गल लागल I

ओ सब लग गोहारी लगेलैथ मुदा कियो मदद नय केलक तँ ओ महादेव क शरण में गेलैथ त ओ हुनका अपना माथ पर राखि लेलखिन जाहि सं हुनकर गलनाइ बंद भय गेल I दक्ष क जखन पता चलल त ओ महादेव क हुनका माथ सं उतारअ कहलखिन जकरा महादेव अस्वीकार क देलखिन I ओहि पर क्रोधित भय दक्ष महादेव सं संबंध तोरी लेलैथ I

दक्ष एक टा पैघ यज्ञ क आयोजन केलैथ जाहि में महादेव क छोङि सब गोटा के बजेलखिन I मुदा सती बिना नोंते बाप क घर जेवाक जिद कर लागलि त हारि के महदेव हुनका अपन सेवक वीरभद्र संगे विदा क देलखिन I सती जखन नैहर पहूँचलि त कियो हुनका नय त बैसय लेल कहलकैन ना कियो गप्प केलकैन I सती अपना अवहेलना सं रुष्ट भय धधकैत यज्ञ कुंड में कुदि गेलि जाहि पर क्रोधित भय वीरभद्र यज्ञ क तहस नहस क दक्ष क गर्दनि काटि देलखिन I

इ सब सुनि महादेव अएलाह हुनका आगु सब कल जोरि कहलखिन जे ज्यो यज्ञ पूर्ण नहि होयत तँ संसार क अनिस्ठ होयत आ बिना यजमान क यज्ञ पूर्ण नहि होयत तेँ दक्ष के जियाओल जाय I महादेव ओहि ठाम बांधल बकरी क मुरी काटि क दक्ष क लगा देलखिन आ ओ बो –बो करैत जीवित भ गेला I हुनकर बो- बो सुनि महादेव प्रस्सन भेलखि ते महादेव के पूजा क अंत में बो- बो- बू अर्थात बम्- बम्- बू करैत अछि I

सती क दुर्दशा देखि महादेव बताह भय गेला I सती के शव के कान्हा पर राखि बौआबअ लगला I तखन विष्णु अपना चक्र सं सती के शरीर क काटि काटि खसब लगला I जतय जतय सती क शरीर खसल सिद्धपीठ भय गेल I आ विष्णु महादेव क कहलखिन कि सती के फेर सं प्राप्त करवा हेतु ओ तपस्या करैथ I तपस्या हेतु महादेव कैलाश छोङि हिमालय चलि गेला I


parnam

धन्यवाद


Follow Me On:-

instagram
facebook

इन्हें भी पढ़े !

Leave a Comment